Wednesday, 13 March 2013

He Herab Shiva

हे हेरब शिव बटिया कतेक दिनमा? (२)

अनलौं जे मृतिका बनलौं महादेव। (२)
शिव संग पुजलहुं (२) गौरी गणेश।

अनलौं जे बेलपत्र सेहो सुखी गेल। (२)
भांग धथुरवा (२) में घुन लागी गेल।

खोजलहुन काशी खोजलहुन प्रयाग। (२)
ओतहि सुनल भोला (२) गेला कैलाश।

सबके त भोला बाबा लिखी पढ़ी देल। (२)
हमरही बेरिया में (२) कलम टूटी गेल।

जं भोला बाबा होएता सहाय। (२)
टुटलो कलंवान सँ (२) लिखता बनाए।

No comments:

Post a Comment