Saturday, 9 March 2013

Bhadra Kaali Hamar Kasht Haru

भद्र काली हमर कष्ट जल्दी हरू, महाकाली हमर कष्ट जल्दी हरू।
पूजा पाठो ने जानी कोन की करू, चित चंचल सदा ध्यान कोना धरू।

अम्बे-अम्बे त हरदम जपब हम बरू, दिय दर्शन हे माता विपति सब हरू।
भद्र काली हमर कष्ट जल्दी हरू, महाकाली हमर कष्ट जल्दी हरू।

आस माता हमर शीघ्र पूरण करू, महाकाली हमर कष्ट जल्दी हरू।
भद्र काली हमर कष्ट जल्दी हरू, महाकाली हमर कष्ट जल्दी हरू।

No comments:

Post a Comment